Tilathi Khabar

Tilathi Khabar "तिलाठी खबर – अहाँक आवाज, अहाँक सरोकार, अहाँक पहिचान!"
Tilathi Khabar – Your voice, your concern, your identity!

09/08/2026

ई पर्व थिक—मधुश्रावणी, जेकाँ तिलाठी गामक पवनैतैनी सब परम निष्ठा, भक्ति आ उल्लासक सँग भव्य रूप सँ मना रहल छथि।

१५ दिन धरि चलैत ई अनुष्ठान मात्र एकटा व्रत नहि, बल्कि मैथिल नारीक त्याग, प्रेम आ सांस्कृतिक निरन्तरताक सब सँ जीवन्त प्रमाण थिक। भोरबाक शीतल बयार में पूजाक लेल ताजा फूल-पात लोढ़ब, आँगन में कलात्मक अरिपण सजाएब, आ विषहरा (नाग देवता) सँग-सँग महादेव-पार्वतीक आराधना करब—ई दृश्य तिलाठी गामक आध्यात्मिक सौन्दर्य केँ अद्वितीय बना दैत अछि। एहि पावनि में पवनैतैनी सब दिनभरि कथा-वार्ता सुनि कऽ अपन लोकसंस्कृति आ गृहस्थ धर्मक गूढ़ रहस्य केँ आत्मसात करैत छथि।

गामक पवनैतैनी सभक ई सामूहिक सहभागिता, हाथ में सजल पूजाक डलिया, आ सीमन्त पर चमकैत सिन्दूर मिथिलाक ओहि आभिजात्य धरोहर केँ दर्शाबैत अछि जे युग-युग सँ अक्षुण्ण अछि। आधुनिकताक ई दौरहु में तिलाठी गामक पवनैतैनी सब अपन परम्परा केँ जेहि समर्पण सँ जोगा कऽ राखने छथि, ओ सम्पूर्ण मिथिलांचल लेल एकटा गौरव आ प्रेरणाक विषय थिक।

"तिलाठी गामक समस्त पवनैतैनी सभ केँ मधुश्रावणीक पावन पर्वक असीम शुभकामना! महादेव आ माता विषहराक कृपा सँ अहाँ सभक जीवन में सदैव सुख, उत्तम स्वास्थ्य, समृद्धि आ अखण्ड सौभाग्यक वास होअ। अहाँ सभक ई अटूट निष्ठा आ परम्परा गामक गौरव केँ युग-युग धरि ईहे तरहेँ उज्यार करैत रहौ।"

#मधुश्रावणी #तिलाठी_गाम #मिथिलाञ्चल #मैथिली_संस्कृति #विषहरा_पूजा #अखण्ड_सौभाग्य

मधुश्रावणी पाबनिक विशेष :Routine of Nepal Banda द्वारा प्रेषित पोष्ट में अद्भुत श्रृङ्गार के सँग मिथिलाक् अलौकिक परम्परा...
04/08/2026

मधुश्रावणी पाबनिक विशेष :
Routine of Nepal Banda द्वारा प्रेषित पोष्ट में अद्भुत श्रृङ्गार के सँग मिथिलाक् अलौकिक परम्परा सँग प्रतिनिधित्व करी रहल छथि,
तिलाठी निवासी श्री दिलीप मिश्र जीक् धिया नेहा मिश्रा जी
सदा सौभाग्यवती भव:

सब मधुश्रावणी पाबनि करैत धिया सभकेँ पैंचमी मधुश्रावणीक हार्दिक शुभकामना। ई पन्द्रह दिनक पाबनी श्रद्धा, भक्ति आ आनन्दक सं...
03/08/2026

सब मधुश्रावणी पाबनि करैत धिया सभकेँ पैंचमी मधुश्रावणीक हार्दिक शुभकामना। ई पन्द्रह दिनक पाबनी श्रद्धा, भक्ति आ आनन्दक संग सफलतापूर्वक सम्पन्न होय।

सभक जीवन अखण्ड सौभाग्य, प्रेम आ खुशी सँ भरल रहय। हर हर महादेव! 🙏

हार्दिक बधाई आ शुभकामना!अत्यन्त हर्ष आ गर्वक सँग सूचित करी रहल छि जे तिलाठी निवासी श्री अखिलेश्वर झा जी ('बि. काका') के ...
02/08/2026

हार्दिक बधाई आ शुभकामना!
अत्यन्त हर्ष आ गर्वक सँग सूचित करी रहल छि जे तिलाठी निवासी श्री अखिलेश्वर झा जी ('बि. काका') के सुपुत्र ई. श्री बिशाल झा जी नेपाल भ्यालुअर्स एसोसिएसन, कोशी प्रदेशक दोसर अधिवेशन में सदस्य रही कार्य उत्कृष्टता, लगनशीलता आ परिश्रम आ अपना क्षेत्र प्रति समर्पित भेला स् तेसर अधिवेशन में सहसचिव सन गरिमामय पदमे सर्वसम्मत (निर्विरोध) निर्वाचित भेलाथि अहि।
गाम आ समाजक लेल सदैव समर्पित, अहाँक लगनशीलता, निष्ठा आ अपन क्षेत्रमे अतुलनीय क्षमता गामक नब पीढ़ीक लेल प्रेरणाक एहन स्रोत अछि जे समाजकेँ सदैव प्रगतिशील दिशा देखाबैत रहत। ई उपलब्धि सम्पूर्ण गामक् लेल एकटा उत्कृष्ट आ गौरवपूर्ण क्षण अछि ।
एही प्रकार स् अपना क्षेत्रमे नवीन सन्देश प्रदान कऽ हमरा गौरवान्वित हाेबाक अवसर प्रदान करैत रहु।
अहाँक अही ऐतिहासिक सफलता आ उज्वल प्रगति पर तिलाठी खबर परिवारक तरफ सँ हार्दिक बधाई व्यक्त करैत आगामी सफल कार्यकालक लेल शुभकामना प्रकट करैत छी। अहाँक ई यात्रा निरन्तर सफलताक नव कीर्तिमान रचैत रहौ, एहेन कामना अछि!
- तिलाठी खबर परिवार

30/07/2026

राष्ट्र तथा नेपाली जनतासँ प्रधानमन्त्री माननीय बालेन्द्र शाहक सम्बोधन।

26/07/2026

तिलाठी स्थित सरस्वती मन्दिरमें मोटु पतलु क् जोडी।

श्री ग्राम देवता बाबाक जय! 🙏प्रस्तुत अछि एहि वर्षक श्री ग्रामदेवता स्थान, तिलाठीमे भेल वार्षिक अषाढ़ी पूजा (आर्द्रा पूजा...
12/07/2026

श्री ग्राम देवता बाबाक जय! 🙏
प्रस्तुत अछि एहि वर्षक श्री ग्रामदेवता स्थान, तिलाठीमे भेल वार्षिक अषाढ़ी पूजा (आर्द्रा पूजा)क परिदृश्य।
एकर पूरा वीडियो 'तिलाठी खबर' यूट्यूब चैनल पर उपलब्ध अछि। अवश्य देखू आ लाइक, कमेंट संगहि सब्सक्राइब कएनाइ नहि बिसरब।
धन्यवाद।
विशेष आभार:Tilathi - तिलाठी आ तिलाठी यूथ

जय ग्रामदेवता! 🙏✨तिलाठी गामक पावन भूमि पर अवस्थित श्री ग्रामदेवता...

अर्जी हमर, मर्जी अहाँक 🙏🏽🙏🏽
09/07/2026

अर्जी हमर, मर्जी अहाँक 🙏🏽🙏🏽

हार्दिक धन्यवाद 🙏कहल जाइत अछि—"जिनका अपन माटि आ संस्कारसँ प्रेम होइत अछि, ओ कतहु रहथि, मुदा अपन गामक प्रति अपन कर्तव्य क...
06/07/2026

हार्दिक धन्यवाद 🙏
कहल जाइत अछि—"जिनका अपन माटि आ संस्कारसँ प्रेम होइत अछि, ओ कतहु रहथि, मुदा अपन गामक प्रति अपन कर्तव्य कदापि नहि बिसरैत छथि।"
एहि भावनाकेँ सार्थक करैत तिलाठी निवासी स्वर्गीय विश्वनाथ झा जीक पौत्र तथा श्री सुभाष चन्द्र झा जीक ज्येष्ठ सुपुत्र, हाल लण्डन रहिरहल श्री प्रशान्त झा जी द्वारा अपन पूज्य पिताक नामसँ ग्रामदेवता बाबाक स्थान पर आयोजित अरदरा पूजाक लेल आवश्यक सामग्री—१५टा कुर्सी, भाँड़ा–वर्तन, त्रिपाल तथा स्पीकरक मर्मत—क निमित्त नेपाली रुपैयाँ ५०,००५/- (अक्षरेपी: पचास हजार पाँच रुपैयाँ मात्र) केर उदार सहयोग प्रदान केलखिन अहि।

सम्पूर्ण तिलाठी खबर परिवार तथा समस्त तिलाठी ग्रामवासीक तर्फसँ श्री प्रशान्त झा जी आ हुनक सम्पूर्ण परिवारक प्रति हार्दिक आभार आ कृतज्ञता व्यक्त करैत छी। भगवान राम बाबासँ प्रार्थना अछि जे हुनका सभ पर अपन असीम कृपा, सुख, शान्ति, समृद्धि, उत्तम स्वास्थ्य आ यश सदैव बनल रहय।

तिलाठी खबर परिवार🙏🏽

तिलाठीवासी गौरवान्वित महसुस कऽ रहल छथि!अत्यन्त हर्ष आ गर्वक् सँग सूचित क् रहल छि जे तिलाठी निवासी श्री  हेमनारायण झा जी ...
01/07/2026

तिलाठीवासी गौरवान्वित महसुस कऽ रहल छथि!
अत्यन्त हर्ष आ गर्वक् सँग सूचित क् रहल छि जे तिलाठी निवासी श्री हेमनारायण झा जी (जोखन झा) जी क् सुपुत्र एवं श्री सन्तोष झा जी क् छोट भाई नेपाल सरकारक शिक्षा मन्त्रालयक नवनियुक्त सल्लाहकार, काठमाण्डू महानगरक शिक्षा क्षेत्रमे अभूतपूर्व योगदान कएनिहार ओजस्वी व्यक्तित्व एवं मेयर बालेन्द्र शाह जीक परम विश्वासपात्र, तिलाठी निवासी "श्री शैलेन्द्र झा" जी कें हार्दिक बधाई आ यशस्वी कार्यकालक शुभकामना।
हमरा लोकनिकें पूर्ण विश्वास अछि जे अहाँक एहि कार्यकाल सँ तिलाठी गामक शिक्षा क्षेत्रमे सेहो क्रान्तिकारी परिवर्तन आएत आ अहाँ अपन गामक् मान आ गौरव एहिना बढबैत रहब।

Address

Tilathi Saptary Nepal
Kathmandu

Alerts

Be the first to know and let us send you an email when Tilathi Khabar posts news and promotions. Your email address will not be used for any other purpose, and you can unsubscribe at any time.

Shortcuts

Share