"मैथिली दिवा" के नाम सं प्रसिद्ध "काजल कर्ण"आई कोनो परिचय के मोहताज नै छैथ ,अमेरिका में रहितो मिथिला आ मैथिली के लेल अप्पन सर्वस्व न्योछावर केने छथि जग में नाम रौशन करैत छैथ।
मैथिली के प्रति हिनक कतेक लगाव छैन ई कह के आवश्यकता नै हिनक लोकप्रियताक अंदाज आँहा अहि बात बात स' लगा सकै छी हिनक मैथिली गीत -संगीतक हर वीडियो के व्यू लाखों में जायत अछि आर वायरल सेहो होइत अछि।।
काजल जी अमेरिका में अप्पन
कंपनी के माध्यम सं एकटा प्रसिद्ध महिला उद्धमी छथि !
काजल जी नै सिर्फ एकटा विजनेसवुमन छैथ बल्कि ई अपन खूबसूरतीक लोहा अमेरिका में मनवा चुकल छैथ, ई अमेरिका में "मिसेज साउथ एशिया पॉपुलर" क खिताब जीत इतिहास रचने छैथ।
आय काजल कर्ण जी के टैगलाइन हर मैथीलानी के जुबान पर छायल छैन-------------
"""मिथिला के नारी कतबो मॉडर्न तयो संस्कारी""।
।। गर्व अछि मिथिला के एहन धिया पर।।
काजल जी के दिस सं अपने लोकिन लेल अप्पन हृदयक विचार .....! "नहि जाति सं नहि पाति सं नहि धर्म सं नहि वर्ग सं , मैथिल चिन्हल जाइत अछि मिठगर रसगर बोल सं ,मिठगर रसगर बोल सं "..
सम्मानित सदस्यगण अपने समस्त लोकिन के हम "मैथिली दिवा" काजल कर्ण "अमेरिका" सँ सादर प्रणाम प्रेषित करैत छी .
अमेरिका में रहितो हमर हृदय सदिखन मिथिले में रहैत अछि , कियाकि अपन मिथिला सन नै कोनो धाम अछि अहि जगत में , मिथिला आ अपन मातृभाषा के लेल सैदखन किछु करय के प्रयास में हम अपन मातृ भाषा में श्रीमद्भागवत गीता के अनुवाद केलौं जे की अमेज़ॉन इंडिया संगहि अमेज़ॉन वर्ल्ड वाइड में उपलब्ध अइछ , आ जल्दिये समस्त मिथिलावासी के लेल एकटा ऐतिहासिक हर्ष आनि रहल छी , जकर नाम अछि मिथिलाज़ोन.कॉम जतय एकठाम सब गोटा आत्मनिर्भर भ सकैत छी जतय सब एकत्रित भ अपन बहुमुखी प्रतिभा के अहि विश्व पटल पर ल आबि सकैत छथि जाहि में हुनक अपन ऑनलाइन व्यवसाय मादे वो अपन-अपन दुकान के माध्यम सं जिनका जाहि प्रतिभा में रुचि होइन चाहे वो रचनाकार होइथ, शिल्पकार होइथ, मिथिला चित्रकला सं होइथ अथवा कुनु भी प्रकार के अपन व्यवसाय समस्त विश्व भरि में स्थापित क अपन प्रतिभा के संगे आर्थिक उपार्जन सेहो क सकैत छथि .विशेष जानकारी हमर आहाँक सबहक लेल हमर फेसबुक पेज पर उपलब्ध हैत . अपन मिथिला आ मातृ भाषा लेल जतेक क सकब वो कम हैत , और ई सबटा आहाँ सबहक प्रेम आ आशीर्वाद के बिना कतौ संभव नै अछि .
समस्त नारीशक्ति हेतु एकटा गप्प कह चाहब जे सब गोटे अपन प्रतिभा के संगहि अपना आप के स्वाभिमानी सेहो बनाऊ, जाबैत धरि आहाँ आगू नै आयब ताबैत धरि आहाँ अपना आप के कमजोड़ बुझैत रहब अपन आत्मविश्वास के मजबूत करू आ अपन पहचान कायम करू .
हमर स्लोगन के सङ्ग ,
"मिथिला के नारी कतबो मॉडर्न तैयो संस्कारी , दुनिया के कोनो कोना में रहि अपन मातृभाषा सं अवश्य प्रेम करि"
अपार हर्षक सङ्ग कह चाहब जे ,
#जनकनन्दनी #सीता के त सब रूप में अपने लोकिन देखने छी मुदा #योद्धा के रूप में पहिल बेर... सबके कह चाहब जे सीता मात्र 5 वर्ष में खेलते-खेलते बाम हाथ सं धनुष उठा लेने रहथिन #जनकपुर में स्थापित करय हेतु डेग के आगू केलौं ,जतय #ब्रह्मांड क समस्त #नारी में #सिया समाहित छथि तैं सब नारी के समर्पित सेहो !
एकटा #महान आ #ऐतिहासिक काज़ #सीता-एक महान योद्धाक प्रतिमा क प्रोजेक्ट जे सम्पूर्ण विश्व पटल पर #अद्भुत , #अतुलनीय आ एकमात्र ई #ऐतिहासिक काज़ जे प्रतिमा #मिथिला के पावन धाम #जनकपुरधाम में स्थापित होबय वास्ते, जतय विशेष रूप सं समस्त नारी वास्ते एवम समस्त लोकिन हेतु ई गर्वक आ स्वाभिमान हेतु समर्पित अछि ! ई महान काज़ वास्ते #काजल जी दिन-राति एक केने छथिन , जे कहिया ई पूर्ण होइ आ आहाँ सबहक समक्ष जे एकटा सपना देखल गेल से #इतिहास के पन्ना में दर्ज होइ .. ई काज़ # जतय समस्त #नारी आ #बेटी एवम समस्त #मैथिल संगहि समस्त #हिन्दू लोकिनक सङ्ग आ आशीर्वाद सँ मात्र संभव अछि! जाबैत धरि अपने लोकिन के संग आ सहयोग भेंटैत रहतै एहन- एहन बहुत रास #ऐतिहासिक काज़ होइत रहतै ..जतय अपन सम्पूर्ण #मिथिला आ #मैथिल गौरवांवित होइत रहब.
मिथिला त सर्वत्र विख्यात अछि जतय अपन के संस्कृति आ गौरव के व्याख्यान होइत अछि जतय पाग पान, माँछ आ मखान के वर्णन होइत अछि जतय अपन मिथिला के माटि-पानि के सुंदरता आ सुगंध आनंदित करैत अछि ,
धन्यवाद !
काजल कर्ण (Maithili Diva USA)