12/10/2026
“मासिक नाट्य शृंखला” मे भेल काव्य कोलाज “केन्द्र मे स्त्री” केर प्रस्तुति
विशेष रूप सँ नव पीढ़ीक मैथिली कवि लोकनिक कविता सबमे व्यक्त स्त्री विमर्श विषयक चिन्ता आ अभिव्यक्तिक शैली रवि दिन (11 अक्टूबर) विद्यापति भवन मे शहरी दर्शक लोकनि केँ बेर-बेर झकझोरलक। किशोर केशवक कल्पनाशील निर्देशन मे भेल एहि प्रस्तुति मे प्रियंका झा, रितु राजपूत, प्रीति कुमारी, बैजू झा, शिवम कुमार झा, अनिमेष सिंह आ अमित कुमार मिश्र आदि कलाकार भाग लेलनि। ई प्रस्तुति मैथिली नाट्य संस्था भंगिमाक छल।
स्त्री विमर्शक एहि काव्य-कोलाज मे आठटा कवि लोकनिक तेरहटा कविता सम्मिलित कयल गेल छल। कविगण मे हरे कृष्ण झा, विनोद कुमार झा, दिलीप कुमार झा, ज्योत्स्ना चन्द्रम, डॉ. बिभा कुमारी, दीपा मिश्र, शारदा झा आ प्रियंका मिश्र छलीह। हिनक चयनित कविता सब मे भूमंडलीकरणक बाद स्त्री विमर्शक आयाम मे आयल परिवर्त्तन सब केँ अकानबाक गम्भीर प्रयास छल।
प्रस्तुति उपरान्त एहि शृंखलाक एखन धरिक तीनू (जन्मदिन आ त्रिशंकु, डैडीगाम तथा घसल अठन्नी) प्रस्तुतिक वीडियो चेतना समितिक अध्यक्ष विवेकानंद झा भंगिमाक यूट्यूब चैनल ( https://youtube.com/?si=qYOPWfLBMOVzTS-9 ) पर लोकार्पित कयलनि। पछाति कवि वैद्यनाथ मिश्र रचित शृंखला-काव्य पुस्तक “से कहलनि सीता” सेहो लोकार्पित भेल। लोकार्पण कयलनि विवेकानंद झा, प्रेमलता मिश्र प्रेम, विनोदानन्द मिश्र, धीरेन्द्र कुमार झा, कमल मोहन चुन्नू आदि।
एहि अवसरक किछु फोटो सब देखल जाए। एकरा संगहि, जनतब हो जे नवम्बर मासक दोसर रवि (8 नवम्बर) केँ दीयाबाती होयबाक कारण सँ प्रस्तुति स्थगित रहत। आब 13 दिसम्बर, 2026 केँ अगिला प्रस्तुति होयत। चेतना समिति आ भंगिमाक संयुक्त तत्वावधान मे एहि शृंखलाक अन्तर्गत अगस्त 2026 सँ अगस्त 2027 धरि सब मासक दोसर रवि केँ मैथिली कथा, कविता, उपन्यास, व्यंग्य आ ललित निबन्ध केन्द्रित प्रस्तुति सब होइत अछि।
#मासिक_नाट्य_शृंखला_सब_मास_दोसर_रवि